मुजफ्फरपुर : दिनदेखार मुखियाकेँ पतिक गोली मारी हत्या

मुजफ्फरपुर। 14 जुलाई। मुजफ्फरपुर म' अपराधी सभ आए दिनदहाड़े गुलाबपट्टी पंचायत केँ मुखिया ललीता देवीकेँ पति रमेश सिंह केर गोली मारी हत्या क' देलनि। जानकारी केर मुताविक, ई घटना ओहि समय घटल जखन मुखियाकेँ पति रमेश सिंह अपन घर लग घुमैत रहथिन। एहि   दौरान मोटरसाईकल पर सवार अपराधी हुनका गोली माएर फरार भ' गेल।  

घटनाकेँ बाद स्थानीय लोग सभ आनन - फानन म' रमेश क' अस्पताल ल' गेलनि, जता डॉक्टर हुनका मृत घोषित क' देलनि। ऐहिक बाद पूरा गाम म' तनाव केर माहौल कायम भ' गेल। ओतहि, तनावक माहौल को' देखैत गाम म' पुलिस कैंप क' रहल अछि। फिलहाल, पुलिस शव क' पोस्टमार्टम लेल भेज देलनि आओर मामला केर जांच क' रहल अछि।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ