जमुई म' नक्सलि सभ एक महिला समेत तीन लोगक कएलनि हत्या

जमुई। 14 जुलाई। जिलाक बरहट थाना क्षेत्र म' नक्सलि सभ द्वारा कैल्हि राति एक महिला समेत तीन लोगक हत्या क' देल गेल। तीनो मृतक एकहि परिवारक सदस्य छल। तीनो ग्रामीणक हत्या पत्थर सँ कुचिकेँ काएल गेल।

हत्याक सूचना भेटबाक बाद बरहट थाना के कुकुरझप डैम सँ पुलिस तीनो मृतक के शव आए भोर बरामद कएलनि। शव लगसँ पुलिस क' दू गोट बरामद भेल। जाहिमे पुलिस मुखबिरी करबाक आरोप लगा हत्या करबाक बात लिखल छल। तीनो मृतक बरहट थाना क्षेत्र के जंगल कुमरतरी गामक रहिवासी छल। 

प्राप्त सुचना केर मुताबिक तीनो मृतक केँ पहिचान शिव कोडा, बजरंगी कोडा आओर मीना कोडा के रुप म' भेल अछि। घटना के जानकारी भेटबाक बाद बरहट थाना पहुँचल जमुई के एसपी जयंतकांत कहलनि कि मामला म' प्राथमिकी दर्ज क' लेल गेल अछि। घटना के पाछा नक्सलि सभक हाथ अछि। इलाका म' नक्सलि सभके गिरफ्तारी करबाक लेल  अभियान चलाओल जे रहल अछि। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ