सहरसा। 18 जुलाई। कोसी म' घटैत - बढ़ैत जलस्तर सँ कैको स्थान पर कटाव शुरू भ' गेल अछि। प्रखंड के उटेसरा पंचायतक टेंगराहा पिपरा, कमराडीह, मियाजागीर टोला पर कोसी के कटाव शुरू अछि। पछिला एक माह म' करीब 20-25 फीट कोसी कटाव के कारण गाम दिस तेजी सँ आगू बढ़ी रहल अछि। जाहिसँ ग्रामीण सभ भयभीत छथि। एतबे नहि गामक आस पास कोसी के कछार पर दर्जनों एकड़ उपजाऊ खेत कोसी के गर्भ म' समा चुकल अछि।
अपने क' बता दी बरख 2015-16 म' पिपरा बगेवा व आन गामक दर्जनों घर व उपजाऊ खेत कोसी म' समा चुकल छल। कटाव सँ विस्थापित परिवार ऊंच स्थान पर खोपड़ी बना कुनु तरहे जीवन व्यतीत क' रहल छथि। तटबंध के 109,110, 111 सहित आन बिन्दु पर उटेसरा एवं अलानी के कटाव पीड़ित रही रहल छथि। कटाव पीड़ित सभ कहलनि कि जहिना - जहिना राति बितैत अछि ओहि तरहे कोसी तेजी सँ गाम क' काटी रहल अछि। ऐना बुझा रहल अछि कि पिपरा गामक पूरा भूभाग नदी म' बदैल क' रहत।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।