वैशाली : NH-77 पर भीषण सड़क हादसा म' 10 लोगक मौत

वैशाली। 18 जुलाई। आय भोर राजधानी पटना सँ सटल हाजीपुर के एनएच-77 स्थित सराय बाजार लग एक बस आओर ऑटो म' टक्कर भ' गेल। ई टक्कर एतेक जबरदस्त छल कि ऑटो के परखचचा उड़ा देलक। एहि हादसा म' ऑटो सवार 10 लोगक मौत घटना स्थले पर भ' गेलनि, ओतहि दर्जनों घायल बताओल जे रहल अछि। घटना के बाद स्थानीय लोग सभक मदैद सँ धायल सभके अस्पताल पहुँचाओल गेल। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ