तेजस्वी क' बर्खास्त करि भाजपा संग सरकार बनबैथ नीतीश : जदयू विधायक श्याम बहादुर सिंह

पटना। 18 जुलाई। भ्रष्टाचारक मामला म' फसल उपमुख्यमंत्री तेजस्वी प्रसाद यादव केर इस्तीफा ल'क' बिहार म' सत्ताधारी महागठबंधन म' जन्मल विवाद ख़त्म होयबाक नाम नहि ल' रहल अछि। जदयू के विधायक श्याम बहादुर सिंह गठबंधन म' मचल घमासान क' आओर हवा देलनि। 

श्याम बहादुर कहलनि कि जदयू क' आब गठबंधन तोएड़ देबाक चाही। पटना म' पत्रकार सभसँ चर्चा करैत श्याम बहादुर कहलनि कि भ्रष्टाचार मामला म' फसल तेजस्वी यादव क' तुरंत इस्तीफा द' देबाक चाही। यदि ओ इस्तीफा नहि दैत छथि तेँ हुनका बर्खास्त क' देबाक चाही आओर गठबंधन तोएड़ देबाक चाही। सीवान जिलाक बड़हरिया क्षेत्र सँ विधायक श्याम बहादुर कहलनि कि तेजस्वी यादव के इस्तीफा देबा सँ यदि सरकार गिरती अछि तेँ चुनाव होएबाक चाही वा भाजपा संग सरकार बनेबाक चाही।

राजद के महागठबंधनक विषय म' पुछला पर ओ कहलनि कि हमर बस चले तँ हम आइये ठबंधन तोएड़ दी। ओ स्वीकार केलनि कि राजद संग काज करबा म' सभकियो असहज छथि। भाजपा संग सरकार छल तखन सभ किछु ठीक छल। भाजपा संग एतेक दबाव म' सरकार काज नहि करैत छल। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने