जयनगर - राँची ट्रेन क' परिवर्तित मार्गसँ चलेबाक मांग

दरभंगा। 17 जुलाई। मिथिला स्टुडेण्ट यूनियन केर तत्वावधान म' जयनगर - रांची ट्रेन क' परिवर्तित मार्गसँ चलेबाक मांग लेल कैल्हि रविदिन दरभंगा स्टेशन पर एक दिवसीय धरना - प्रदर्शन काएल गेल। कार्यक्रम केर नेतृत्व करैत मिथिला स्टुडेण्ट यूनियन के जिलाध्यक्ष अमित सिंह कहलनि कि एहि ट्रेनक बन्द भेला सँ देवघर जायबला लाखो श्रद्धालु लोकनिकेँ बहुत मुसिवताक सामना करे पड़ैत अछि। ट्रेन के बन्द भेलाक कारण रोजगारक कमी सँ परेशान मिथिलावासि सभके आओर बेसी रोजगारहीन बना देल गेल अछि।

अमित सिंह चेतावनी दैत कहलनि कि यदि एहि ट्रेन क' जनकल्याण व आम नागरिकक सुविधा क' देखैत शीध्रातिशीध्र आरम्भ नहि काएल गेल तँ एहि मांगक लेल चरणबद्ध आंदोलन चलाओल जाएत, जाहिक जिमेवार रेल मंत्रालय होएत। धरना कार्यक्रम म' जयनगर, पंडौल, सकरी, बहेड़ी, बिरौल, बेनीपट्टी, केवटी, समस्तीपुर सँ आएल छात्र लोकनि हिस्सा लेलनि।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने