सहरसा। 07 जुलाई। समुचित इलाज नहि भेटबाक कारण घायल सिपाही विपिन कुमार के दिल्ली म' मौत भ' गेलनि। भागलपुर जेल सँ सीतामढ़ी कोर्ट जाएत घरी 15 अप्रैल 2017 क' एक दुर्घटना म' एक नक्सली समेत 7 पुलिसकर्मि के मौत भ' गेल छल, जाहिमे बिपिन कुमार यादव बुरी तरहे घायल भ' गेल छलाह। इलाजक दौरान डॉक्टर हुनका एम्स के लेल रेफर क देलनि, मुदा अफसोस कि हुनका नहि बचाओल जे सकल।
विपिन के परिजन सभक आरोप अछि कि दिल्ली म' इलाज के बजाय हुनका अस्पताल सभक चक्कर काटे पड़लैन्ह। हालत बिगड़ैत देख विपिन क' बालाजी एक्शन अस्पताल म' एडमिट कराओल गेल। जाता महज 4 दिनक इलाज म' लाखों टाका खर्च भेल, जखन विपिन के परिवार लग पाई ख़त्म भ' गेल तेँ हुनका सफदरजंग अस्पताल म' एडमिट कराओल गेलनि जाता हुनकर मौत भ' गेलनि।
विपिन कुमार बिहार पुलिस म' कांस्टेबल पद पर तैनात छलाह। हुनकर परिवार के आरोप अछि कि देश के बड़का अस्पताल सभमे एहि जवानक इलाज करबाक बजाए, बेड खाली नहि होयबाक बहाना बता हुनका अस्पताल सभक चक्कर कटाओल गेलनि। 2 जूलाई क' घायल अवस्था म' हुनका दिल्ली आनल गेल छल। परिवार के आरोप अच्छी कि एम्स, जी.बी. पंत, आर.एम.एल म' जेबा पर अलग-अलग बहाना बना हुनका एडमिट नहि काएल गेलनि। अंत म' हुनका बालाजी एक्शन हॉस्पिटल म' एडमिट कराओल गेल।
विपिन के मौतक बाद हुनकर पूरा परिवार के ऊपर दुखक पहाड़ टूईट पड़ल अछि। मृतक कांस्टेबल के चारि गोट बच्चा अछि, 3 बेटी आओर एक बेटा म' हुनकर बरकी बेटी के उम्र 17 बरख अछी। हैरानी आओरशर्मक बात ई अछि कि ड्यूटी पर भेल एक्सिडेंट के इलाज करेबाक लेल कांस्टेबल बिपिन के परिवार क' एहि तरहे अस्पताल सभक धक्का खे पड़लैन्ह आओर आखिर म' हुनकर मौत भ' गेलैन्ह। साफ अछि कि घायल कांस्टेबल के मौतक कारण जतबा एक्सिडेंट अछि, ओतबे बिहार पुलिस आओर दिल्ली के अस्पताल सभक लचर रवैया।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।