पटना। 07 जुलाई। रेलवे टेंडर घोटाला म' लालू यादव समेत हुनकर सहयोगी सभक ठिकाना पर सीबीआई के छापामारी चारि अछि। भोरे सँ देश भरी म' 12 ठिकाना पर छापामारी चैल रहल हैं। ओतहि मुख्यमंत्री नीतीश कुमार राजगीर म' 'आराम' फरमा रहल छथि।
ओना नीतीश कुमार राजगीरे स' पूरा घटनाक्रम पर नजर बनेना छथि। जेडीयू नेता सभके सेहो खास निर्देश देल गेल अछि कि लालू यादव पर भ' रहल कार्रवाई ल'के कुनु बात नहि करबाक अछि। ओतहि नीतीश कुमार मुख्य सचिव, डीजीपी व गृह सचिव क' राजगीर बजौलैन्ह। एहि संगे सरकार के वरिष्ठ मंत्री सभ क' राजगीर बजाओल गेल। ओनाकि नीतीश कुमार दिस स' एखन धरी एहि मामला पर कुनु प्रतिक्रिया नहि आएल अछि।
एहीसे पहिने नीतीश कुमार लालू के खिलाफ कैको कार्रवाई के बाद चुप रहल छला। बेनामी संपत्ति के जखन मामला उजागर भेल छल तखन नीतीश कुमार जरूर कहने छला कि आरोपी सभक जांच होयबाक चाही। ओहिक बाद लालू परिवार के खिलाफ आयकर विभाग कार्रवाई शुरू केना छल।
सदिखन ई देखल गेल अछि कि लालू यादव जखन भी मुसीबत म' होयत छथि तेँ नीतीश कुमार हुनकर संग छोइस दैत छथि। नोटबंदी सँ ल'के राष्ट्रपति चुनाव धरी म' लालू यादव एनडीए के नीतिक विरोध केलनि। ऐहिक ठीक उलटा नीतीश कुमार एहि सभ मुद्दा पर केंद्र सरकार के संग छला।
लालू के खिलाफ कार्रवाई के बाद सियासी गलिया म' ई चर्चा जोर पर अछि कि नीतीश कुमार चुप किएक छथि। अगबे नीतीश नहि हुनकर पार्टी के तमाम दिग्गज नेता सेहो एहि मुद्दा पर चुप छथि। गौरतलब अछि कि राजनीति म' नीतीश कुमार के छवि साफ सुथरा अछि। खुद नीतीश लगातार भ्रष्टाचार के मुद्दा पर सवाल उठबैत रहल छला ऐना म' एहि मामला पर संग देबाक सवाले नहि उठैत अछि। किएक जे नीतीश कुमार राज्य म' कैको भ्रष्ट अधिकारि सभक खिलाफ कार्रवाई केना छथि।
बीजेपी सीबीआई कार्रवाई के बाद नीतीश कुमार पर दबाव बना रही अछि कि तेजस्वी यादव क' मंत्रिमंडल सँ बर्खास्त काएल जाए। ओनाकि जेडीयू के सूत्र बतौलनि कि एहि कार्रवाई के बाद महागठबंधन पर कुनू असर परै बला नहि अछि।
अपने क' बता दी सीबीआई एहि मामला म' लालू सहित आठ लोगक खिलाफ मामला दर्ज केना अछि। लालू यादव, राबड़ी देवी, तेजस्वी यादव, सरला गुप्ता, विजय कोचर, विनय कोचर, लारा प्रोजेक्ट्स व पीके गोयल समेत अज्ञात लोग सभके सीबीआई आरोपी बनेना अछि।
एक टिप्पणी भेजें
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।