मुजफ्फरपुर : नौकरी दिएबाक नाम पर यौन शोषण करबाक आरोपी सीओ केँ दौड़ा-दौड़ा पिटाई

मुजफ्फरपुर। 05 जुलाई। गायघाट प्रखंड मुख्यालय परिसर म' अंचलाधिकारी (सीओ) निशिकांत क' एक महिला दौड़ा-दौड़ा पिटलैन्ह। महिला उक्त अंचलाधिकारी पर यौन शोषण करबाक आओर 40 हजार टाका ठगी के आरोप लगौलनि। कैल्हि मंगल के सांझ कार्यालय बंद होयबाक समय एहि घटना सँ परिसर म' अफरातफरी मैच गेल छल। प्रखंड क्षेत्रक एक गाम के रहिवासी उक्त महिला के संग हुनकर माँ सेहो छलखिन। हुनकर माँ बीच-बचाव करि मामला क' शांत केलनि। पिटाई स' घायल सीओ के पीएचसी म' इलाज कराओल गेल। सूचना पर जाधरि पुलिस पहुँचल, ताबे म' महिला भैग चुकल छली। 
कैल्हि मंगल के सांझ लगभग पांच बजे उक्त महिला मां के संग अंचल कार्यालय पहुँचलि। ओहि समय कार्यालय बंद होयत छल। सीओ अपन कार्यालय कक्ष स' बाहर आबैत छला। उक्त महिला हुनका किछु कहलनि, जाहिक ओ जबाब देलनि। एहि पर उक्त महिला तमसा क' हुनक कॉलर पकैड़ पीटब शुरू क' देलनि। अंचलाधिकारी भागैत छल आओर महिला हुनकर पाछू नहि छोड़ैत छली। महिला के उग्र रूप देखि किनको हिम्मत नहि होयत छलैन्ह जे हुनका रोके। बाद म' महिला के माँ बिच बचाव करैत मामला शांत केलनि।

दौड़ा-दौड़ा क' पिटैत घरी महिला सरेआम चिकैर - चिकैर क' अंचलाधिकारी  पर संगीन आरोप लगा रहल छली। ओ कहैत छली कि हुनका जमीन बंदोबस्ती व अंचल कार्यालय म' दाई के नौकरी दिएबाक लालच देल गेल छल। ऐहिक नाम पर सीओ 40 हजार टाका सेहो लेना छल संगहि कैको बेर बजा हुनकर यौन शोषण केना छल।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ