बेगूसराय : प्रेमिका केँ घर पहुँचल प्रेमीक पीट-पीट क' हत्या

बेगूसराय। 03 जुलाई। बेगूसराय जिलाक बखरी थाना क्षेत्र म' कथित तौर पर अपन प्रेमिका सँ भेंट करे हुनका घर पहुँचल एक युवक केँ लड़कीक परिजन सभ पीट-पीट क' हत्या क' देलनि। पुलिस केँ मुताबिक, राटन गाम निवासी धनेश्वर (25) केँ गामे के एक युवती संग प्रेम-प्रसंग चलैत छल। धनेश्वर कैल्हि रवि दिन  देर राति अपन प्रेमिका सँ भेंट करे हुनका  घर पहुँचल छलाह। 

आरोप अछि कि एहि दौरान प्रेमिका केँ परिजन हुनका देख लेलनि आओर हुनका पकरिकेँ हुनकर पीट-पीट क' हत्या क' देलनि। बखरी केँ थाना प्रभारी टी. के. मिश्रा आय बतौलनि कि युवक केँ हत्या करि हुनकर शव क' लड़की के परिजन सभ घरे म' नुका देलनि। आय भोर मृतक के परिजन आओर ग्रामीण सभकेँ जखन ऐहिक खबैर भेटल तेँ सभ मिल आरोपिक घर पहुँच तोड़फोड़ केलनि।

एहि घटनाक खबैर भेटलाक बाद पहुँचल पुलिस शव क' अपन कब्जा म' ल' पोस्टमार्टम लेल बेगूसराय सदर अस्पताल भेज देलनि। पुलिस पूरा मामला केँ जांच क' रही अछि। गाम म' फिलहाल तनाव केँ स्थिति बनल अछि। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने