मधुबनी म' भगवानक नाम पर जंग, पुलिस-पब्लिक के भिड़ंत म' एक के मौत, कैको जख्मी

मधुबनी। 29 जून। बाबूबरही थाना क्षेत्र के खोजपुर गाम म' कैल्हि रातिकेँ  एक बजे ओहि समय तनाव केर स्थिति उत्पन्न भ' गेल जखन किछु माह पहिने खुदाई म' भेटल एक प्राचीन शिवलिंग क' आने गेल भारी प्रशासनिक अमला आओर विरोध क' रहल ग्रामीण सभक बीच भिड़ंत भ' गेल। 

भिड़ंत तखन विकराल रूप ल' लेलक जखन पुलिस पर ग्रामीण सभ हमला क देलनि आओर बचाव म' पुलिस क' हवाई फायरिंग, लाठीचार्ज करे पड़लनि। एहि भिड़ंत म' एक दोकानदार मांगन साहु के घटनास्थल पर मौत भ' गेलनि। 

ग्रामीण सभक कहब छैन्ह कि सदर एसडीओ के गाड़ी मांगन साहु क' घसीट देलनि, जाहिसँ हुनकर घटनास्थल पर मौत भ' गेलनि। ओतहि बहुत रास ग्रामीण के घायल होयबाक खबैर अछि।

एहि घटनासँ आक्रोशित ग्रामीण सभ प्रशसन के चारि गोट चौपहिया गाड़ी, एक जेसीबी आओर दुइ गोट मोटरसाइकिल क' आगिक हवाले क' देलनि। स्थिति बहुत तनावपूर्ण बताओल जे रहल अछि। आय भोर स्थानीय लोग सभ मांगन साहु के लाशक संग बाबूबरही-खुटौना मुख्य पथ क' खोजपुर गाम म' जाम क' देलनि।

प्राप्त सुचना केर मुताबिक़ कैल्हि रातिके एक बजे तीन दर्जन स' बेसी पुलिस, प्रशासन के गाड़ीसँ प्रशासनिक अमला एकाएक खोजपुर गाम जे पहुँचल। ओता के सोमनाथ मंदिर म' स्थापित काएल गेल प्राचीन शिवलिंग क' पुलिस अपन कब्ज़ा म' करे लागलनि जाहि कारण ई घटना घटल। अपने क' बता दी एहि शिवलिंग पर आधिपत्य ल'के खोजपुर आओर नवका टोल के ग्रामीण सभक बीच किछु महीना सँ विवाद चलैत छल। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ