अपने क' बता दी कि मौजूदा उपराष्ट्रपति हामिद अंसारी के कार्यकाल 10 अगस्त क' समाप्त भ' रहल अछि, ओ दुइ बेरसँ एहि पद पर छथि।
गौरतलब अछि कि राज्यसभा आओर लोकसभा के निर्वाचित आओर नामांकित सदस्य उपराष्ट्रपति केर चुनाव करैत अछि। उपराष्ट्रपति राज्यसभा के पहिल सभापति सेहो होएत छथि, एहि समय दुनू सदन के कुल सदस्यक संख्या 790 अछि मुदा किछु सीट खाली अछि।
उम्मीदवार क' बतौर ज़मानत 15 हज़ार टका जमा करे पड़ैत छन्हि। उपराष्ट्रपति चुनाव लड़बाक लेल उम्मीदवारक उम्र 35 बरख होयबाक चाही आओर ओ केंद्र वा राज्य सरकार के कुनूभि पद पर नहि होएबाक चाही।
अपने क' बता दी कि राष्ट्रपति चुनाव ल'के देश म' हलचल मचल अछि। सत्ताधारी दल दिससँ बिहार के पूर्व राज्यपाल रामनाथ कोविंदो क' मैदान म' उतारल गेल अछि जखनकि विपक्ष दल पूर्व लोकसभा अध्यक्ष मीरा कुमार क' अपन उम्मीदवार बनेना अछि। दुनू नेता अपन नामांकन करा चुकल छथि आओर सगर देश म' प्रचार क' रहल छथि। 17 जुलाई सोम दिन राष्ट्रपति पदक लेल वोट खसाओल जायत आओर 20 जुलाई क' मतगणना होयत।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।