एक बेर फेरसँ धधैक उठल सीवान

सीवान। 28 जून। सीवान समेत सगर बिहार म' अपराध रुकबाक नाम नहि ल' रहल अछि। एहने घटना म' कैल्हि राति अपराधी सभ एक फर्नीचर व्यवसायी के हत्या क' देलनि।

एहि घटनाक विरोध म' आय भोरेसँ लोग सड़क पर उतैर गेलनि। आक्रोशित लोग सभ सीवान-हुसैनगंज मार्ग क' जाम क देलनि। लोग सभक आक्रोश एतेक बेसी छल कि आक्रोशित लोगक भीड़ पुलिसक गाड़ी क' फूंइक देलनि। एहि घटना ल'के पूरा इलाका म' तनाव व्याप्त अछि। 

बताओल जे रहल अछि कि हुसैनगंज थाना क्षेत्रक माहपुर गाममे कैल्हि राति अपराधि सभ व्यवसायी राशिद सरकार के गोली मारी हत्या क' देलनि। घटना के समय जाहिर अंसारी के 26 वर्षीय पुत्र फर्नीचर व्यवसायी राशिद सरकार भोजन करि घरक छत पर सुतल छलाह। लगभग एक बजे अपराधि सभ घटना क' अंजाम देलनि। प्राप्त सुचना केर मुताबिक अपराधि सभ व्यवसायी के माथमे तीन गोलि मरलैन्ह जाहिसँ मौके पर राशिद के मौत भ' गेलैन्ह।

सूचना भेटते राति म' हुसैनगंज थाना पुलिस मौका पर पहुँचल, मुदा  घटनासँ नाराज लोग सभ शव उठेबासँ मना क' देलनि। ओतहि आय भोरे स' लोग सड़क पर उतैर पुलिस के खिलाफ नारेबाजी करे लागलनि। एतबे नहि, आक्रोशित लोग पुलिस के जीप फूंइक देलनि। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने