बिहटा के लेल वरदान साबित होयत 'नारायण ट्रामा व स्पाइन सेंटर' - डॉ. सी पी ठाकुर

पटना। 28 जून। पदमश्री डॉ. सी पी ठाकुर नारायण हॉस्पिटल के उदघाटन समारोह म' लोग सभके सम्बोधित करैत कहलनि कि नारायण ट्रामा व स्पाइन सेंटर बिहटा के लेल वरदान साबित होयत। बिहटा म' तेजीसँ भ' रहल विकास पर चर्चा करैत डॉ. सी पी ठाकुर कहलनि कि युवा सभमे रेस लगेबाक होड़ मचल अछि। जाहि कारण सँ दुर्घटना के संख्या दिन प्रतिदिन बढ़ी रहल अछि।

एहि मौका पर डॉ. नीरज नारायण ने बिहटा म' पहिल बेर स्पाइन के सर्जरी दूरबीन सँ आधुनिक ऑपरेशन थिएटर केर संग उपलब्ध होयबाक बात कहलनि। ऐहिक अलावा हड्डी आओरनस संबंधी रोगक इलाज़ आधुनिक मशीन सँ करबाक बात कहलनि। डॉ. नीरज नारायण गरीब सभक लागत दाम पर इलाज़ करबाक आओर आन जगहसँ कम खर्चे म' नारायण ट्रामा व स्पाइन सेंटर म' इलाज़ करबाक दावा केलनि। 

उदघाटन समारोह म' डॉ ललित मोहन शर्मा, डॉ. धर्मेंद्र कुमार, जदयू नेत्री स्वेता विश्वास, आतिश सिंह, श्रीनिवास सिंह, बिजेंद्र कुमार, आई आई टी के डिप्टी रजिस्ट्रार त्रिपुरारी सिंह, अनिल सिंह, रामनिवास सिंह, अभय कुमार सहित बहुतो रास लोग उपस्थित छला।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ