दरभंगा : विवाहक' प्रलोभन दक' छात्रा सs गैंग रेप


दरभंगा। नगर थाना क्षेत्र कs छात्रा के विवाहक' प्रलोभन दक' पहिने  ओकर प्रेमी अपन दोस्त के घर लs गेल, ताहि के बाद ओ अपन चाइर दोस्त के संग नै सिर्फ गैंग रेप कैल्क बल्कि ओहिके वीडियो सेहो बनेलक। 
गणेश मंदिर चौक के रह वाली सखी [काल्पनिक नाम ] नामक' लड़की के आकाश महतो सs लगभग दू बरख सs प्रेम प्रसंग  चली रहल छल। बाद में प्रेम परवान चढ लागल। प्रेमी आकाश सेहो मौका कs फायदा उठा अपन प्रेमिका सखी के साथ कतेको बेर शारीरिक सम्बन्ध बनेलक आर विवाह करे के प्रलोभन दैत रहल।  एही क्रम में आकाश अश्लील वीडियो बनेलक आर अपन दोस्त सभ के द देलक। एही के जानकारी पीड़िता के सेहो नै छल। आकाश आर ओकर दोस्त एही अश्लील वीडियो कs डर देखाक सखी के संग कतेको बेर रेप कैल्क। सखी के मुताबिक रेप करे सs  पहिने ओकरा पाइन में नशा मिलाक' पिया देल जाइत छल। 
पुलिस एही मामला में प्राथमिकी दर्ज़ कs दू आरोपी कृष्णा महासेठ आर सावन कुमार के गिरफ्तार क लेलक जखन कि प्रेमी आकाश आर प्रिंस एखन तक फरार अछि। पुलिस दुनू लड़का के गिरफ्तारी के लेल छापेमारी करि रहल अछि। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ