मिथिला स्टूडेंट यूनियन मधुबनी जिला इकाई के गठन भेल
मधुबनी। 29 अप्रैल। मिथिला स्टूडेंट यूनियन के मधुबनी जिला इकाई गठन प्रक्रिया सम्पन भेल। रेलवे स्टेशन के समीप मिसु जिला कार्यालय में बिहार प्रभारी नीरज शेखर के अध्यक्षता में भेल बैठक में संगठन विस्तार सs लक छात्रक' समस्या सभ पर विस्तार स चर्चा भेल। एही बैठक में मधुबनी जिला अध्यक्ष एक बेर फेर सs राघवेंद्र रमन के बनाओल गेलाह। अन्य पद पर बहुत रास नव चेहरा के जगह देल गेल जाहि में महिला इकाई के अध्यक्ष प्रिया झा , उपाध्यक्ष प्रवेश झा , महासचिव सुजीत कुमार झा , सचिव मिन्टन चंचल , नितीश कश्यप , पंकज साहू , कोषाध्यक्ष विकाश कुमार , प्रवक्ता सह मिडिया प्रभारी शशि झा , विश्वविद्यालय प्रभारी मनोहर झा , सोशल मिडिया प्रभारी राम बालक पासवान एवं प्रखंड समन्यवक मंत्री संदीप झा के बनाओल गेल। उपरोक्त जानकारी संस्था के राष्ट्रीय प्रवक्ता बीजे बिकाश के द्वारा देल गेल।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।