बिहार सरकार द्वारा देल गेल मुआवजाक' राशि लेबा सs शहीदक' परिजनक' इंकार


वैशाली। छत्तीसगढ कs सुकमा में भेल नक्सली हमला में शहीद अभय के परिजन बिहार सरकार द्वारा देल गेल मुआवजाक' राशि लेबा सs इंकार कs देला। परिजनक' कहब छैन कि कोनो दुर्घटना या अैवध शराब पी क' मर वाला के सरकार 4 लाख रुपया दैत अछि। अभय तs देश के लेल शहीद भेलैथ एहन में हुनका परिजन के मात्र 5 लाख रुपया किया ?

परिजन एही बात सs सेहो नाराज छैथ कि सरकार शहीद के सम्मान तक नै कैल्क। जिला प्रशासन के तरफ सs  महुआ एसडीओ चेक देबा परिजन लग़ आएल छलाह , जिनका परिजन चेक वापस क' देला। जाहि के बाद एसडीओ ख़ाली हाथ लउट गेला।

आहा सभ के बता दी कि बिहार के वैशली जिलाक' रह वाला अभय कुमार छत्तीसगढ़ में नक्सली हमला में शहीद भs गेल छलाह। हुनकर विवाह एक साल पाहिले भेल छल। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ