कलर्स टीवी के राइजिंग स्टार मे' बड़का साजिशक शिकार भेली 'मैथिली ठाकुर'

मधुबनी। 24 अप्रैल। कलर्स टीवी चैनल पर पिछला 4 फरवरी सँ शुरू भेल सिंगिंग रियालटी शो ‘राईजिंग स्टार’मे मिथिलाक बेटी 'मैथिली ठाकुर' केँ  परफॉरमेंस पहिल राउंड से फाइनल राउंड धरी धमाकेदार रहल। मुदा, फाइनल राउंड मे ओ बड़का साजिशक शिकार होएत महज एक प्रतिशत  वोट से पराजित भ' गेली। सही मायने मे देखल जाए तेँ ‘राईजिंग स्टार’ केँ विजेता मैथिली ठाकुर छली मुदा कलर्स टीवी टीम साजिश करि 'बैनेट दोसांझ' के राइजिंग स्टार के विजेता घोसित केलनि। चैनल के साजिश दर्शक सभकेँ साफ - साफ देखकर देलनि।

राइजिंग स्टार केँ पूरा शो मे पहिल बेर फाइनल राउंड केर दरमियान चैनलक साजिश सभक सोझा आएल। राइजिंग स्टार के फाइनल राउंड मे पहिने मैथिली ठाकुर केँ परफॉरमेंस भेल, मैथिली ठाकुर क' हुनकर धमाकेदार परफॉरमेंस पर 76% वोट भेटल। मैथिली ठाकुर के बाद 'बैनेट दोसांझ' केर परफॉरमेंस शुरू भेल बैनेट दोसांझक परफॉरमेंस केर दरमियान आश्चर्य देखबाक लेल भेटल, एतहि मैथिली ठाकुर संग साजिश भेल। 

जखन 'बैनेट दोसांझ' केँ परफॉरमेंस चलैत छल ओहि दरमियान हुनका भेटल वोट 51% से सीधा 61%  देखाओल गेल। ऐता साफ तौर पर मैथिली ठाकुर राइजिंग स्टार जितैत देखार देली, बैनेट दोसांझक मूँह सूखा कए चोकटी भ' गेल छल। मुदा, देखते - देखते बैनेट दोसांझ के वोट क्लोजिंग के बाद 61% से 77% पर जे क' रोकल गेल। टेक्निकल टीम द्वारा एहि साजिशक चक्कर मे दू बेर साउंड सेहो बन्द भ' गेल आओर पुनः चालू भेल। ऐता चैनलक साजिश साफ - साफ झलकैत छल, दू बेर टेक्निकल टीम वोटिंग प्रतिशत बढेलक आओर दुनू बेर साउंड सेहो क्षण भरिक लेल रूकि गेल। एतहि टेक्निकल टीम मैथिली ठाकुर क' प्राप्त भेल 76% वोट केँ बदला बैनेट दोसांझ के 77% वोट द' विजेता घोषित क' देलैन्ह। ई सभ साजिश नहि तेँ आर की?

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ