नरेंद्र मोदीकेँ कनियां यशोदाबेन एक कार्यक्रम म' भाग लेबा आय आएब रहल छथि पटना

पटना। 22 अप्रैल। आय पटना केँ सियासी हलचल तेज अछि। आखिर, खबैर एहने अछि। खबैर अछि कि देशक प्रधान मंत्री नरेंद्र मोदीकेँ कनिया यशोदाबेन आय पटना आएब रहल छथि। हुनकर मोतिहारी मे सेहो एक  कार्यक्रम छैन्ह। कार्यक्रम केर पुख्ता जानकारी प्रशासन के अधिकारी सभके सेहो नहि छैन्ह। जखन से यशोदाबेन के पटना अएबाक खबैर फ़्लैश होएब शुरू भेल अछि, प्रशासनिक सतर्कता बढ़ाओल गेल अछि। यशोदाबेन क' नरेंद्र मोदी केर प्रधान मंत्री बनलाक बाद विशेष सुरक्षा प्रदान काएल अछि, जाहि ल'के ओ असहज सेहो रहैत छथि।

प्राप्त जानकारी केर मुताबिक यशोदाबेन आय दुपहर सेवा विमान सँ पटना औती। पटना म' ओ मौर्या होटल मे ठहरती। एतहि तैलिक साहू समाज कुनु सम्मान समारोह केर आयोजन क' रहल अछि जाहिमे ओ भाग लेती।  कैल्ह रवि दिन 23 अप्रैल क' यशोदाबेन बेगूसराय जेति जता ओ जिला तैलिक साहू सभा द्वारा आयोजित भामाशाह जयंती समारोह केर कार्यक्रमक मुख्य अतिथि छथि। यशोदाबेन बेगूसराय के चट्टी चौक पर भामाशाह केर प्रतिमाक अनावरण सेहो करती।

यशोदाबेन केर पटना अएबाक कारण जानी भाजपा के भीतर सेहो बेचैनी देखा रहल अछि। सभ कियो आपस मे पता लगा रहल अछि कि आखिर हुनका पटना आनबाक कार्यक्रम केँ सूत्रधार के छैथ ? यशोदाबेन पहिल बेर बिहार आएब रहल छथि। जानकार सभक कहब अछि कि यशोदाबेन के कार्यक्रम क' सफल बनेबाक लेल हालही मे भाजपा सँ निलंबित काएल गेल विधान पार्षद लालबाबू प्रसाद सेहो पूरा तरहे लागल छैथ। अपने के बता दी कि भाजपा सँ निलंबन के बाद लालबाबू प्रसाद के पक्ष म' बिहार तैलिक समाज पटना मे बड़का धरना देना छल। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने