सांसद पप्पू यादव क' भेटल जमानत, जल्दे जेलसँ बाहर औता

मधेपुरा। 21 अप्रैल। जन अधिकार पार्टी केँ संयोजक आओर मधेपुरा सँ सांसद पप्पू यादव पटना के बेऊर जेल म' बंद छैथ। आए सांसद पप्पू यादव क' गर्दनीबाग मामलामे निचाक अदालत सँ जमानत भेट गेलनि। आब जेल सँ हुनकर रिहाईक रास्ता साफ भ' गेल छैन्ह।

दरअसल, 27 मार्च दिन आंदोलन केर दौरान पप्पू यादव समर्थक सभसे पुलिस केँ झड़प भ' गेल छल। जाहिक बाद एक पुरनका मामला मे पुलिस पप्पू यादव क' गिरफ्तार केलनि। कहल जे रहल अछि कि एहि मामला मे जमानत भेटलाक बाद पप्पू यादव कखनो जेल सँ बाहर आएब सकैत छैथ। जाहिक खबैर सँ हुनकर समर्थक सभक भीड़ बेऊर जेल के बाहर जमा होमे लागल अछि।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने