रेलवे ट्रैक पर सेल्फी लेब तीन संगीकेँ पड़ल महग, दू केँ मौत

कटिहार। 21 अप्रैल। रेलवे ट्रैक पर सेल्फी लेब तीन संगीकेँ ओहि समय  मंहग पड़ल जखन तीनो मेँ दू गोटाक जान ट्रेनक चपेट म' अएला सँ खत्म भ' गेलनि। ओतहि एक युवा नदीमेँ फाँगिकेँ अपन जान बचौलैन्ह। ई घटना सहायक थाना क्षेत्रक लालपुल लग घटल।

बताओल जे रहल अछि कि आय ललियाही मोहल्ला के तीन संगी भोर टहले निकलला। पुल पर बनल रेलवे ट्रैक पर तीनों चलैत ट्रेन केर बगलसँ सेल्फी लेबाक इरादा बनौलैन्ह। सेल्फी लेबाक दौरान ट्रेन तेजीसँ ओता पहुंच गेल आओर दू गोटा ट्रेनक चपेट म' आएब गएला। 
अनुमण्डल पुलिस पदाधिकारी लाल बाबू प्रसाद कहलनि कि लाश क' पोस्टमार्टम लेल स्थानीय सदर अस्पताल भेजल जे रहल अछि आओर मामला केँ छानबीन शुरू क' देल गेल अछि।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ