हुनकर आगमन केर तैयारी लेल भाजपा के पूर्व विधायक डॉ आलोक रंजन कैल्ह रवि दिन कहरा मंडल के मुरली, बसुदेवा, भुशवर, रहुआ, तुलसियाही, नरियार, रजौड़ा, बलहा, गढ़िया, देवना सहित दर्जनों गाम मे जनसंपर्क करि लोग सभके कार्यक्रम मे शामिल होयबाक लेल निमंत्रण देलनि। पूर्व विधायक डॉ आलोक रंजन लोग सभके प्रतिमा अनावरण के संगहि स्थानीय पटेल मैदान मे आयोजित होमै बला विजयोत्सव समारोह मे भाग लेबाक अपील केलनि।
एहि मौका पर मुन्ना सिंह, भगवानजी, बंटू सिंह, पप्पू चौधरी, प्रो. रणवीर झा उर्फ फुल बाबू , राजेश दास, अयोधी मुखिया, ललन तांती, संजय मुखिया, ददन मेहता, अनिल चौधरी, गुलाब झा, रणजीत राजा, इंदु साह, भूषण साह सहित पार्टी के बहुत रास कार्यकर्ता मौजूद छला।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।