कैल्ह राति ‘राईजिंग स्टार’ के सेमीफाइनल मे मैथिली ठाकुर के मुकाबला विक्रम जीत सिंह संग छल। विक्रम जीत सिंह पिछला सभ राउंड मे विजय रहला। मुदा, कैल्ह सेमीफाइनल मे मैथिली ठाकुर हुनको पछाड़ैत फाइनल राउंड लेल अपन जगह सुनिश्चित कएलि। ‘राईजिंग स्टार’ मे एक आओर राउंड होयत जाहिमे बेनेट केर मुकाबला अंकिता संग होयत। बेनेट आओर अंकिता मे जिनका बेसी वोट भेटत ओ सेमीफाइनल लेल चयनित होयत, जिनकर मुकाबला विक्रम जीत सिंह संग होयत। एहि सेमीफाइनल मे जिनका बेसी वोट भेटत ओ फाइनल राउंड लेल चयनित होयत, जिनकर मुकाबला मैथिली ठाकुर संग होयत।

मैथिली ठाकुर एहि तरहे संघर्ष करैत एक एक स्टेप आगू बढ़ैत आय फाइनल तक पहुँच गेल छथि। हमरा लोकनि के मैथिली ठाकुर लेल आब आगामी रवि दिन वोट करवाक अछि। मैथिल दुलारी मैथिली ठाकुर वोट के कारण कही पाछा नहि होईथ। ताहिलेल लेल सभकियो मैथिली ठाकुर क' बेसी सँ बेसी वोट दी, ताकि मैथिली बने राइजिंग स्टार चैंपियन आओर मिथिलांचलक नाम चहुओर रौशन हुअ। अपनेक एक वोट बुच्ची मैथिली क' स्टार सँ सुपर स्टार बना सकैत अछि। मैथिली ठाकुर के एक बेर फेर अपने सभक आशीर्वादक जरुरत छैन्ह ताहिलेल सभकियो हुनका लेल फाइनल राउंड मे बेसी सँ बेसी वोट करि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।