चुप बैसल सरकार, आब एहि शख्स केँ छैन्ह कुनु फरिश्ता केर इंतजार

मोतिहारी। 18 अप्रैल।  माेतिहारी के एक महिला जूली के पति रुपेश कुमार पाण्डेय मुंबई के ग्लोबल अस्पताल मे जिंदगी आओर मौत से जूझि रहल छथि। परिवार मे असगर कमबे बला 41 बरखक रुपेश केर स्थिति दिन प्रतिदिन तेजी सँ बिगड़ी रहल छैन्ह। रुपेश के लिवर खराब भ' गेल छैन्ह, जाहिके ट्रांसप्लांट करबाक लेल 25 लाख टाका के जरूरत छैन्ह। मुदा, नोटबंदी के बाद सँ नहिये तें हुनकर जमीन बिका रहल छैन्ह नहिये मकान। हुनका घर मे जे किछु जेवर व बचल - खुचल टाका छल सभ एखन धरिक इलाज मे खर्च भ' गेल छैन्ह। 
प्रधानमंत्री कार्यालय सँ मदद मांगला पर सेहो हुनका हाथ निराशा लागल। रुपेश मुख्यमंत्री नीतीश कुमार, उप मुख्यमंत्री तेजस्वी यादव सहित कैको बड़का नेता, मंत्री सभ सँ मदद मांगबाक अलावा फिल्म स्टार सलमान खान आओर हुनकर संस्था वीईंग ह्यूमन, अक्षय कुमार, आमिर खान, शाहरुख खान आओर उद्योग पति मुकेश अंबानी सँ सेहो ट्विटर के जरिए मदद माँगलैन्ह। एहि परिवार लग ओ किनका - किनका आओर कते - कते गुहार लगौलनि, सभक प्रमाण मौजूद छैन्ह। 

सभ तरहे नाउम्मीद भेलाक बाद आब एहि परिवार केँ कुनु फरिश्ता केर इंतजार छैन्ह। आब ई परिवार देशवासी सभसँ मदद लेल गुहार लगेना छथि। एहि बदनसीब इंसान के बेबसी आओर लाचारी सिस्टम पर करारा चोट अछि। अपने के बता दी कि रुपेश पांडेय के क्रॉनिक लिवर डिजीज छैन्ह। ई बीमारी हेपेटाइटिस बी सँ संबंधित अछि। रुपेश मुंबई के ग्लोबल हॉस्पिटल मे एडमिट छथि। ओता के डिपार्टमेंट आॅफ हेपटोलॉजी के हेड डॉ. समीर आर शाह अविलंब हुनका लिवर ट्रांसप्लांट के एडवाइस देना छैन्ह। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ