बेनीपुर दरभंगा के हाबिभौआर गामक नवाह केर शोभा यात्रा कांडमे हिन्दू भाई पर एकतरफा करवाई

दरभंगा। 20 अप्रैल। [मिहिर कुमार झा 'बेला'] कैल्ह बुध दिन बेनीपुर के हाबिभौआर गामक नवाह केर शोभा यात्रा कांडमे हिन्दू भाई पर एकतरफा करवाई भ' रहल अछि। जाहिक विरोध मे घटनास्थले पर हाबिभौआर गाममे  बेनीपुर बीजेपी नेता श्री राकेश कुमार ठाकुर उर्फ सोनू जीक अध्यक्षता मे सैकड़ो बीजेपी कार्यकर्ता सभक मैजूदगी मे बिहार सरकार आओर पुलिस पदाधिकारी सभक पुतला दहन काएल गेल। 
एहि कांड मे एखन धरी 25 हिन्दूकेँ ग्रिफ्तार काएल गेल अछि, ओतहि एहि  कांड के मुस्लिम मुख्य आरोपी सह पूर्व बिधायक प्रतिनिधि क' बिहार सरकार के निकम्मा पुलिस पदाधिकारी एखन धरी पकारबा मे नाकाम छथि। निर्दोश लोग सभके गिरफ़्तार काएल जे रहल अछि। मुस्लिम समुदाय आओर पुलिस द्वारा गिरफ़्तार लोग सभके बर्बरता पूर्वक थानामे पिटल गेल आओर नवाह के शोभा यात्रा पर पथराव काएल गेल। 

 पुलिस के बर्बरता सँ पूरा इलाका मे दहशत पसरल अछि। स्थानीय लोग सभक मांग छैन्ह कि अविलम्ब सरकार दोषी पुलिस पदाधिकारी सभ पर कारवाई करैत निर्दोष लोग सभके रिहा करबैत मामला केँ न्यायिक जाँच कराओल जाए आओर मुख्या आरोपी सह पूर्व बिधायक प्रतिनिधि क' गिरफ़्तार काएल जाए।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ