पुल पर ओ एक पिस्टल द' ताका लेल हाथ बढ़ेला कि हुनका सादा लिवास मे ठाढ़ जवान सभ गिरफ्तार करबाक लेल दौड़लैन्ह। मुदा ओ एक जवान देवधारी चौधरी क' दोसर पिस्टल से लहूलुहान क' देलनि। ऐहिक बाद ओ पुल सँ नदी मे छलांग लगा देलनि। ओ तेजी से हेलैत नदी पार क' गेला।
ऐहिक बाद पुलिस चोर-चोर हल्ला करे लागल। एहि बीच एक युवक दंगा नियंत्रण दस्ता प्रभारी जनार्दन शर्मा के बाइक पर बैसा हुनका घेर लेलनि। ताधरि चारो तरफ से अपराधी आम लोग से घेरा चुकल छला। अबरूल के नगर थाना पर आंबाक बाद ओ बतौलैन्ह कि हुनकर दोसर पिस्टल व पांच गोली नदी मे छलांग लगेबाक दौरान गिर पड़ल। ऐहिक बाद पुलिसक टीम दुबारा पुल के नीचा खोजबीन करे पहुँचल। बहुतमशक्कत के बाद एक पिस्टल व पांच कारतूस ओता से बरामद भेल।
खगड़यिा जिलाक बेलदौर थाना क्षेत्र के धारी गांव निवासी मो. अबरूल पुलिस के बतौलैन्ह कि ओ अपन गाम से हथियार ल'के आएल छला। ओ अपन ससुर व पत्नी केर हत्या करबाक बाद अपन बेटी के संग सकुशल अपन घर पहुंचे चाहैत छल। मुदा, ऐहिक लेल हुनका लग टाका नहि छल। एहिलेल ओ एक पिस्टल बेचा चाहैत छलथि। मुदा, हुनका की पता ओ जिनका हाथे हथियार बेचियत छलथि ओ पुलिस वाला छथि।
एएसपी दिलनवाज अहमद कहलनि कि हुनका लग से बरामद सिम के कॉल डिटेल निकालल जे रहल अछि। मुजफ्फरपुर जिलाक एक शख्स के नाम सँ बरामद आधार कार्ड केर सत्यापन करेबाक बात एएसपी दिलनवाज कहलनि। आओ ओ कहलनि कि खगड़यिा पुलिस सँ संपर्क करि मो. अबरूल केर आपराधिक इतिहास खंगालल जे रहल अछि। जख्मी जवान देवधारी चौधरी के डीएमसीएच भेजी इलाज कराओल गेल।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।