अहमदाबाद। 13 अप्रैल। देशक प्रतिष्ठित दैनिक भास्कर प्रकाशन समूह के मालिक रमेश चंद्र अग्रवाल के कैल्ह बुध दिन अहमदाबाद एयरपोर्ट पर दिलक दौरा पड़ला सँ निधन भ' गेलैन्ह। ओ 73 बरखक छलाह। गुजरात सँ प्रकाशित होमै बला समूह के गुजराती अखबार दिव्य भास्कर केर कर्मचारि सभक अनुसार, अहमदाबाद एयरपोर्ट पहुँचते अग्रवाल क' हार्ट अटैक आयल छल। ओनाकि, हुनका तत्काल अपोलो हॉस्पिटल ल' जाएल गेल, मुदा हुनका बचाओल नहि जे सकल।
30 नवंबर 1944 के झांसी मे जनमल रमेश चंद्र अग्रवाल अपन पिता दिवंगत द्वारका प्रसाद अग्रवाल संग भोपाल अएला आओर बरख 1958 मे ओ दैनिक भास्कर अखबार शुरू कएलनि। एखन अग्रवाल केर नेतृत्व मे दैनिक भास्कर समूह 14 राज्य सँ अखबार के 62 संस्करण सफलतापूर्वक प्रकाशित करैत अछि। सर्कुलेशन केर आधार पर दैनिक भास्कर दुनिया के चारिम सभसँ पैघ अखबार अछि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।