पाकिस्तानी करेंसी आओर दू पिस्टल संग तीन अपराधी गिरफ्तार

गोपालगंज। 20 अप्रैल। कटेया पुलिस पंचदेवरी सँ तीन अपराधी केँ गिरफ्तार केलनि अछि। जिनका लगसँ दू पिस्टल, पाकिस्तान व दुबई केर  करेंसी बरामद काएल गेल अछि। पुलिस गिरफ्तार अपराधी सभसँ पूछताछ क' रहल अछि कि हुनका लग विदेशी मुद्रा कते सँ आएल।

जानकारी केर मुताबिक पंचदेवरी मीरगंज पथ पर बाइक चेकिंग केर दौरान पुलिसक हाथ तीनों अपराधी लागल। जखन तीनो के तलाशी लेल गेल तेँ दू लोडेड पिस्टल आओर विदेशी करेंसी बरामद भेल। पाकिस्तान आओर दुबई के करेंसी लेल अपराधी सँ पूछताछ काएल जे रहल अछि।  अपराधियों से पूछताछ की जा रही है। 

कटेया पुलिसक मुताबिक गिरफ्तार काएल गेल अपराधी के नाम इमरान अली, इरफ़ान अली आओर इमाम अछि, जिनका सभक अपराधिक रिकॉर्ड खंगालल जे रहल अछि।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ