मिथिलाक बेटी 'मैथिली ठाकुर' क' कैल्ह एक बेर फेरसँ ‘राइजिंग स्टार’ मे जीतेबाक लेल वोट करि

मधुबनी। 10 मार्च। [जितमोहन झा] कलर्स टीवी पर सप्ताह मे 2 दिन शनि - रविक रात्रिमे 9 बजे सँ प्रसारित सिंगिंग रियालटी शो ‘राईजिंग स्टार’ मे मिथिलाक बेटी मैथिली ठाकुर 11 फरवरी के अप्पन पहिल राउंड मे धमाकेदार इंट्री करैत ‘राईजिंग स्टार’ के दोसर राउंड लेल अप्पन जगह सुनिश्चित केना छलीह। ‘राईजिंग स्टार’ के पहिल राउंड मे मैथिली अप्पन शानदार परफॉरमेंस केर बदौलत लोग सभक खूब वाहवाही बटोरैत 94% वोट प्राप्त केना छली।
(मैथिल जन लेल मैथिली के सनेस)
अप्पन  परफॉरमेंस सँ सभक चहेती बनल मैथिली ठाकुर केर अगिला आओर दोसर राउंड परफॉरमेंस कैल्ह 11 मार्च शनिवार रात्रि 9 बजे से 11 बजे के बिच कखनहुँ भ' सकैत अछि। एहिबेरक दोसर राउंड केर दौरान डबल परफॉरमेंस होयत जाहिमे दुई प्रतिभागि केर लाइव परफॉरमेंस होयत। एहि बेरक परफॉरमेंस मे मैथिली ठाकुर के मुकाबला बंगालक प्रतिभागी संग होयत। 

मैथिली ठाकुर समस्त मिथिलांचल वासी सँ विनती कएलन्हि अछि कि कैल्ह रात्रि 9 बजे से 11 बजे के बिच कलर्स टीवी पर प्रसारित होमै बला सिंगिंग रियालटी शो ‘राईजिंग स्टार’ मे हुनक दोसर राउंड के परफॉरमेंस जरूर देखि। 

अपने के बता दी सिंगिंग रियालटी शो ‘राईजिंग स्टार’ आठ राउंड तक चलत, जाहिमे कुल 60 प्रतिभागी भाग लेना छैथ। ऑडियन्स द्वारा कायल गेल वोटिंग ऑनलाइन होयत अछि, जे की कलर्स टीवी चैनल के एंड्राइड अप्प केर जरिये कायल जायत अछि। वोटिंग करबाक लेल अपने के कलर्स टीवी के एंड्राइड एप्प क' डाउनलोड करि ओहिके अप्पन फेसबुक वा  ट्विटर आईडी से लिंक करबाक होयत। जाहिक बाद अपने आसानी से 'राईजिंग स्टार' के प्रतिभागि मैथिली ठाकुर के वोट क' सकैत छी। वोटिंग जखन मैथिली ठाकुर के गीत चलत ओहि समय लगभग 1.5 मिनट धरी कायल जे सकैछ। एहि शो के जजक रूप मे शंकर महादेवन, मोनाली ठाकुर आओर दिलजित दोसांज छैथ।

मूल रूप से मधुबनी जिलाक बेनीपट्टी (उड़ेन) के रहिवासी 16 बरखक  मैथिली ठाकुर के प्रारंभिक संगीतक शिक्षा-दीक्षा हुनक दादा श्री बच्चा ठाकुर व पिता रमेश ठाकुर से भेटलैन्ह। ग्रामीण परिवेश मे पलल बढ़ल मैथिली वर्तमान मे द्वारिका, दिल्ली मे परिवारक संग रहैत बाल भवन इंटरनेशनल स्कुल, द्वारिका सँ पढ़ाई क' रहल छली। अपने के बता दी कि मैथिली ठाकुर एखन धरी संगीतक क्षेत्र मे कैको विशिष्ट पुरस्कार प्राप्त क' चुकल छली। ओ राष्ट्रीय स्तर के सिंगिंग शो 'इंडियन आइडियल जूनियर-2015', सारेगामापा सहित कैको सिंगिंग रियालटी शो मे अप्पन प्रतिभा देखा चुकल छली। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ