मोटर साईकिल आओर बसक सीधा टक्कर म' एक केर मौत

दरभंगा। 10 मार्च।  अलीनगर थाना क्षेत्र के अलीनगर पंचायत स्थित कमला नदी ब्लैता घाट लग आय शुक्रवार भोर अपाची मोटर साईकिल आओर दरभंगा केसरी बस मे सीधा टक्कर भ' गेल, जता मौके पर मधुबनी जिलाक मधेपुर थाना निवासी लक्ष्मण ठाकुर के पुत्र मुन्ना ठाकुरक मौत भ' गेल। मोटर साईकिल पर सवार मृतक केर पत्नी व बच्चा सुरक्षित बताओल जे रहल अछि। जिनका ग्रामिण सभ आनन-फानन मे अलीनगर पीएचसी मे भर्ती करौलन्हि। ओतहि घटना ल'के स्थानीय लोग सभ घंटो  सड़क जाम कएलनि। घटना से तमसायल लोग प्रशासन सँ मृतक के  परिजन परिजन लेल मुआवजा देबाक मांग कएलनि अछि। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने