किशनगंज के पूर्व सांसद सैय्यद शहाबुद्दीन नहि रहला

किशनगंज। 04 मार्च। प्राप्त सूचनाक मुताबिक़ किशनगंज से दुई बेर सांसद रहल, रिटायर्ड आईएफ़एस आओर पूर्व आल इंडिया मुस्लिम मजलिसे मुशावरत के अधयक्ष सैयद शहाबुद्दीन के दिल्ली मे आय भोर 6.22 बजे निधन भ' गेलैन्ह। कद्दावर नेता शहाबुद्दीन 1985 के संसदीय उपचुनाव मे जनता पार्टी गैर कांग्रेसी दल के टिकट पर मुस्लिम बहुल किशनगंज संसदीय क्षेत्र से पहिल  बेर सांसद चुनल गेल छलाह। ओ तीन बेर 1979-1996 मे सांसद रहला। 

सैयद शाहबुद्दीन एक राजनयिक, एक राजदूत आओर एक राजनेता केर  रूप मे काज केना छलाह। एक राजनेता के रूप मे ओ अपन समय के दौरान शहाबुद्दीन विदेश मंत्रालय मे दक्षिण पूर्व एशिया हिंद महासागर आओर प्रशांत के प्रभारी संयुक्त सचिव छलाह। सैयद शाहबुद्दी 1989 मे इंसाफ पार्टी केर स्थापना केना छलाह।

पारिवारिक सूत्र केर मुताबिक स्वर्गीय शहाबुद्दीन क' लोदी रोड कब्रिस्तान मे दुपहर 01:30 बजे दफनाओल जायत।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने