पुल निर्माणक लेल अनशन पर लोग, समर्थन मे ग्रामीण सभ मानव श्रृखंला बना बजेलन्हि थारी

सहरसा। 03 मार्च। कोसी नदी के डेंगराही घाट पर पुल निर्माणक मांग लेल  13हम दिन सेहो आमरण अनशन जारी अछि। ओतहि, फरकिया गामक लोग सभ करीब 15 किलोमीटर के मानव श्रृंखला बना अनशन केर समर्थन कएलन्हि। एतबे नहि कैल्ह गुरुवार राति फरकिया के महिला व बच्चा सभ थारी बजा सुतल सरकार क' नींद सँ जगेबाक कोशिश केलनि। मुदा एखन धरी ऐहिक कुनु असर सरकार पर होयत नहि देखा रहल अछि।  

कैको दिन से सलखुआ प्रखंड के डेंगराही अनशन स्थल पर अनशनकारी बैसल छैथ, जाहिक कारण से हुनका सभक सेहत बिगड़ल जे रहल अछि।  स्थिति क' बिगरैत देख पीएचसी प्रभारी अनिल कुमार सभ अनशनकारि के स्लाईन चढ़ौलन्हि। ऐहिक संगे मेडिकल जांच कराओल गेल। डॉक्टर सभक मानी तेँ अनशनकारी स्थिति बहुत खराब अछि। जल्दे सभके अस्पताल मे भर्ती कराबे पड़त।

गौरतलब अछि कि कोसी दियारा के ई इलाका सहरसा आओर खगड़िया के सीमावर्ती क्षेत्र मे पड़ैत अछि। दुनु जिला क' जोड़े बला एक मात्र सड़क मार्ग डुमरी पुल दके छल जे ध्वस्त होयबाक बाद आय लगभग बंद भ' चुकल अछि। कोसी दियारा के ई इलाका एहेन अछि, जतेक लोग सभके जीवन निर्वाह लेल बहुत परेसानी के सामना करे पड़ैत अछि। लाखो के आबादी बला ई इलाका भगवान भरोसे अछि।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने