नीतीश सरकार किसान सभक खुशहाली लेल बहुत रास योजना चला रहल अछि : राज्यपाल रामनाथ कोविंद

समस्तीपुर। 04 मार्च। राजेंद्र केंद्रीय कृषि विश्वविद्यालय पूसा मे राज्यपाल रामनाथ कोविंद कैल्ह शुक्रवार दिन आयोजित कैको कार्यक्रम मे हिस्सा लेलनि। विश्वविद्यालय के सभागार मे "देश मे मक्कई केर उत्पादकता आओरउपयोगिता" विषय पर देशभरी सँ आयल कृषि वैज्ञानिक सभक दुई दिवसीय सेमीनार केर उद्घाटन राज्यपाल रामनाथ कोविद कएलनि।

राज्यपाल एहि मौका पर कहलनि कि हुनका एहि बातक बहुत ख़ुशी अछि कि पहिने जखन ई विश्विद्यालय राज्य सरकार केर अधीन छल तेँ हम एहिठामक कुलाधिपति छलहुँ, मुदा हमरे कार्यकाल मे एहिके केंद्रीय विश्विद्यालय केर दर्जा प्राप्त भेल। 

राज्यपाल कोविंद कहलनि कि बिहार सरकार कृषि के क्षेत्र मे रोडमैप बना नीक काज क' रहल अछि। किसान सभक खुशहाली लेल कैको योजना चलाओल जे रहल अछि, जाहिमे कृषि वैज्ञानिक सभक अहम भूमिका अछि। आगा ओ कहलनि कि मक्कई उत्पादन के क्षेत्र मे बिहारक किसान बहुत आगू बढ़ी रहल छैथ। जाहिक 75 फीसदी उपयोग व्यवसायिक उत्पाद के रूप मे कायल जे रहल अछि। जे हुनक आर्थिक दशा सुधारबाक लेल एक शुभ संकेत अछि।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने