पेपर लीक मामला : गिरफ्तार IAS अधिकारी सुधीर कुमार निलंबित

पटना। 03 मार्च। पेपर लीक मामला मे बिहार कर्मचारी आयोग केर सचिव आईएएस सुधीर कुमार केनिलम्बित क' देल गेल अछि। आईएएस एसोसिएशन केर दबावक बावजूद बिहार सरकार सुधीर कुमार के निलंबित क' देलनि अछि। निलंबन लेल सरकार नोटिफिकेशन जारी केलनि अछि।
 
राज्य सरकार सीनियर आईएएस सुधीर कुमार के सस्पेंशन केर संबंध म' आदेश जारी केलनि अछि। बीएसएससी पेपर लीक कांड मे झारखंड के हजारीबाग सँ गिरफ्तार कायल गेल बिहार कर्मचारी चयन आयोग केर  अध्यक्ष आईएएस सुधीर कुमार क' 14 दिनक न्यायिक हिरासत मे फुलवारी जेल भेज भेजल गेल अछि। 

सुधीर कुमार केर गिरफ्तारीक विरोध मे बिहार आईएएस  एसोसिएशन सीधा - सीधा राज्य सरकार सँ लड़ाई करबाक मूड मे अछि। सुधीर कुमार व हुनक परिवार के संग ठाढ़ होयबाक बात कहि रहल अछि। 

पूरा बिहार भरक आईएएस अधिकारी राज्य भवन तक पहुंच गेला आओर  सुधीर कुमार केर गिरफ्तारीक विरोध क' रहल अछि। आईएएस एसोसिएशन प्रश्न पत्र लीक मामला मे सीबीआई जांच केर मांग क' रहल अछि। सुधीर कुमार केर गिरफ्तारीक बाद सीनियर आईएएस सीके अनिलक गिरफ्तारी के तैयारी चैल रहल अछि। आईएएस एसोसिएशन राष्ट्रपति सँ भेंट करि विरोध जतेबाक तैयारी क' रहल अछि।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने