केन्द्रीय नेतृत्व केर आह्वान पर अपन विभिन्न मांग सभक समर्थन मे अखिल भारतीय डाक कर्मचारी संघ के बैनर तर प्रधान डाकघर के सामने प्रदर्शन करैत डाक कर्मि सभक कहब छल कि बेर - बेर आश्वासन केर उपरांत सरकार हुनका लोकनिक बीस सूत्री मांग के नजर अंदाज करैत आबि रहल अछि। प्रदर्शन करैत डाक कर्मि कहलनि कि मकान किराया बढ़ोतरी, यात्रा भत्ता मे बढ़ोतरी, पुरान पेंशन लागू समेत बीस सूत्री मांगके सरकार जल्द सँ जल्द लागू करैथ।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।