राइजिंग स्टारकेँ महामुकाबला मे आय टॉप-10 लेल लड़ती मैथिल दुलारी धिया 'मैथिली ठाकुर'

मधुबनी। 25 मार्च। सिंगिंग रियालटी शो 'राइजिंग स्टार' एक वास्तविक टेलीविजन गायन प्रतियोगिता केर भारतीय संस्करण अछि। कलर्स टीवी पर सप्ताह मे 2 दिन शनि - रविक रातिक 9 बजे सँ प्रसारित सिंगिंग रियालटी शो ‘राईजिंग स्टार’ मे मिथिलाक बेटी 16 वर्षीय मैथिली ठाकुर अप्पन पहिल राउंड मे रिकॉर्ड (94%) मत आनने छली। ओतहि ओ दोसर राउंड मे रिकॉर्ड (93%) मतक संग बंगाल के प्रतिभागि के बहुत अंतर सँ हरा टॉप 16 लेल चयनित भेली। मैथिली 'राइजिंग स्टार' के तेसर राउंड मे (92%) मतक संग टॉप-10 लेल चयनित भेली। 

मैथिली ठाकुर अहिना एक एक स्टेप आगू बढ़ैत टॉप-1 तक जगह बनेति। हमरा लोकनि के मैथिली ठाकुर लेल हरेक शनिवार वा रविवार दिन मे सँ कुनु एक दिन जहिया हुनकर परफॉरमेंस होयत वोट करवाक अछि। आब कम वोट केर आधार पर हरेक शनिवार वा रविवार के एक - एक करि प्रतिभागी बाहर होयत। मैथिल दुलारी मैथिली ठाकुर वोट के कारण कही पाछा नहि होईथ। ताहिलेल सभकियो हुनका फाइनल राउंड तक वोट करि। 

आय 25 मार्च शनिवार रातिमे 9 बजे सँ कलर्स टीवी पर प्रसारित सिंगिंग रियालटी शो ‘राईजिंग स्टार’ मे मिथिलाक बेटी मैथिली ठाकुर कए अप्पन वोट दी ताकि मैथिली बने राइजिंग स्टार चैंपियन आओर मिथिलांचलक नाम चहुओर रौशन हुअ। आय 'राइजिंग स्टार' के मुकाबला टॉप-10 मे जगह बनेबाक लेल होयत, आओर अपनेक एक वोट बुच्ची मैथिली क' स्टार सँ सुपर स्टार बना सकैत अछि। मैथिली ठाकुर के एक बेर फेर अपने सभक आशीर्वादक जरुरत छैन्ह ताहिलेल सभकियो हुनका लेल बेसी सँ बेसी वोट करि। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने