राशन कार्ड आवेदनमे भ' रहल अछि धांधली, आवेदक से दलाल ल' रहल छथि 200 सँ 300 टाका

मधुबनी। 25 मार्च। [पंकज झा] राशन कार्ड सँ वंचित लोग सभक आवेदन अनुमंडल कार्यालय मे पिछ्ला कैको सप्ताह सँ जमा कराओल जे रहल अछि। जते आवेदन जमा करनिहार सभक भारी भरखम भिर अनुमंडल कार्यालय मे लागल रहैत अछि, ओतहि आवेदन जमा करबाक अनुपात मे काउंटर बहुत कम देखार द' रहल अछि। लोग सभ राति मे कातर मे लागि भोर काउंटर खुजबाक इन्तजार करैत छथि। कैको बेर भीर में लोग सभ हंगामा आओर माएर-पिट पर उतारु भ' जायत छथि, जाहिके सांत करबाक लेल बहुत मस्सकत करे पड़ैत अछि। 


सूत्र सँ प्राप्त जानकारी केर मुताबिक कैको जगह दलाल सभक जमावरा देखल जे रहल अछि। चर्चा इयो अछि कि आवेदन जमा करेबाक लेल दालाल लोग सभसे 200 सँ 300 टाका लैत छथि आओर आवेदन जमा करबाक बाद जे पावती रसिद भेटैत अछि ओहि रसिद मे आवेदक केर  फोटो नहि होयत अछि। जखनकि जानकारी मुताबिक़ ऑनलाइन आवेदन मे आवेदनकर्ता के फोटो होयत अछि। एहि तरहक धांधली जांचक विषय अछि। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने