भाषण देबाक दौरान मंच सँ खसला लालू, IGIMS मे भ' रहल छैन्ह इलाज

पटना। 25 मार्च। पटना जिला के दीघा थाना क्षेत्र मे आयोजित एक यज्ञ कार्यक्रम केर दौरान लोग सभक बेसी संख्या मे मंच पर चढला सँ मंच टूटी गेल आओर राजद प्रमुख लालू प्रसाद चोटिल ह' गेला। दीघा सँ आबैत घरी हुनका इलाज लेल पटना स्थित इंदिरा गांधी आयुर्विज्ञान संस्थान (आईजीएमएस) मे भर्ती कराओल गेलनि। लालू यादव कहलनि कि हुनका कमर के निचा बला हिस्सा मे चोट लागलैन्ह आओर सूजन छैन्ह। 

इंदिरा गांधी आयुर्विज्ञान संस्थान लालू के साथ हुनकर छोट बेटा आओर उपमुख्यमंत्री तेजस्वी प्रसाद यादव, स्वास्थ्य मंत्री आओर बड़का बेटा तेज प्रताप यादव, बरकी बेटी आओर राज्यसभा सदस्या मीसा भारती सहित पार्टी के कैको आन विधायक पहुँचलथि। हुनकर एक्सरे भेलाक बाद चिकित्सक सभ द्वारा हुनकर स्वास्थ्य परीक्षण कायल जे रहल अछि। 

दीघा थाना प्रभारी गोल्डेन कुमार कहलनि कि गंगा नदी कात दीघा घाट पर आयोजित उक्त यज्ञ केर कार्यक्रम मे भाग लेबा सांझ करीब 7 बजे पहुंचला राजद प्रमुख। मंच पर स्थानीय लोग सभके संबोधित केलाक बाद जखन ओ मंच सँ उतरे लागला तखने मंच पर बेसी संख्या मे मौजूद लोग सभक कारण मंचक कुनु खुट्टा उखैर गेल जाहिसे मंच धराशायी भ' गेल।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ