'आरएसएस' केर मुकाबला करबाक लेल तेजप्रताप यादव बनौलनि 'धर्मनिरपेक्ष सेवक संघ'

पटना। 29 मार्च। स्वास्थ्य मंत्री तेजप्रताप यादव राष्ट्रीय स्वयंसेवक संघ (आरएसएस) के तर्ज पर धर्मनिरपेक्ष सेवक संघ (डीएसएस) केर गठन केलनि अछि। राष्ट्रीय जनता दल (आरजेडी) के अध्यक्ष लालू प्रसाद के बेटा तेजप्रताप कैल्ह मंगल दिन एक नव संगठन केर घोषणा करैत कहलनि कि धर्मनिरपेक्ष सेवक संघ क' राष्ट्रीय स्तर पर पसारल जायत। जाहिमे हिंदू, मुस्लिम, सिख, इसाई सभ धर्मक लोग शामिल होयत। ई संगठन आरएसएस आओर योगी आदित्यनाथ के संगठन ‘हिंदू युवा वाहिनी’ केर मुकाबला करबाक लेल तैयार होयत। 

तेजप्रताप कहलनि कि डीएसएस आरक्षण केर मुद्दा पर आरएसएस के खदेरत। आगा ओ कहलनि आरक्षण हमरा सभक जन्मसिद्ध अधिकार अछि। हम आरएसएस केर मनमानी नहि चले देब। डीएसएस केर गठन ल'के भारतीय जनता पार्टी (बीजेपी) केर वरिष्ठ नेता आओर पूर्व उपमुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी तेजप्रताप केँ पहिने आरएसएस केर  प्रशिक्षण लेबाक सलाह देलनि। सुशील मोदी कहलनि कि तेजप्रताप क' पहिने आरएसएस केर ट्रेनिंग लेबाक चाहि। ओहिक बाद कुनु संगठन बनेबाक बात करबाक चाहि। प्रशिक्षण लेबाक बाद संगठन केर असफलताक शक कम भ' जेतैन्ह। बिना प्रशिक्षण के असफलताक भय बनल रहतैन्ह।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ