अहिंसा यात्रा केर पटना पहुँचबा पर एहि कार्यक्रम केर आयोजन काएल गेल छल। आचर्य श्री महाश्रवण केर सानिध्य मे अहिंसा यात्रा 15 हजार किलीमीटर आओर 19 राज्य केर दूरी तय करैत पटना पहुँचल।
आचर्य श्री महाश्रवण अपन संबोधन मे कहलनि कि सरकारक डंडा आओर धर्म केर झंडा सँ देश आगू बढ़त। आगा ओ नितीश कुमार केर तारीफ करैत कहलनि कि ई पुरस्कार नहि उपचार थीक, जाहिसँ नैतिकता क' प्रसारित काएल जे सके।
अणुव्रत पुरस्कार प्राप्त करबाक बाद नीतीश कुमार लोग सभके संबोधित करैत कहलनि कि शराबबंदी केर फैसला एक राजनीतिक नहि सामाजिक फैसला अछि। शराबबंदी के फैसला लेब बहुत कठिन छल। मुदा समाजिक उत्थान लेल ई फैसला लेबा पड़ल। जहियासँ शराबबंदी लागू भेल अछि लोग खुशहाल छथि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।