जमीन विवाद मे बेटा कएलनि वृद्ध पिताक चाकू भोंकि हत्या

दरभंगा। 09 मार्च। दरभंगा जिला के कमतौल थाना अंतर्गत अरियारी गाम  मे कैल्ह बुधवार दिन भूमि विवाद मे भेल झगड़ाक दौरान एक बेटा अपन पिताक चाकू भोंकिकेँ हत्या क' देलनि आओर परिवारक दुई आन सदस्य के सेहो गंभीर रुपे घायल क' देलनि।

कमतौल आरक्षी निरीक्षक अजय कुमार झा कहला कि अरियारी गाम  निवासी संजय कुमार ठाकुर भूमि विवाद मे भेल झगड़ाक दौरान अपन पिता रामदयाल ठाकुर (80) क' चाकू भोंकि हत्या क' देलनि आओर बचाव बचाव करबाक लेल आयल परिवारक दुई आन सदस्य के गंभीर रुपे घायल क' देलनि। 

अजय कुमार कहला कि शव क' पोस्टमार्टम लेल संगहि हमला मे घायल  रामदायल ठाकुर के छोटका बेटा आओर हुनकर बच्चा राहुल कुमार क'  इलाजक लेल दरभंगा मेडिकल कॉलेज अस्पताल भेजल गेल। कमतौल थानाध्यक्ष राजकुमार राय कहला कि आरोपी के गिरफ्तार क' लेल गेल अछि।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ