नीतीश देलैन्ह महिला सभके एक आओर तोहफा, जनवितरण प्रणाली मे महिला सभके 35% आरक्षण

पटना। 09 मार्च। अंतर्राष्ट्रीय महिला दिवस केर अवसर पर राज्य सरकार  महिला सभक लेल एक आओर बड़का घोषणा कएलनि अछि। पंचायत मे 50% आरक्षण के बाद आब जनवितरण प्रणाली (PDS) के दोकान सभमे सेहो महिला सभके 35% आरक्षण भेटत। राज्य के खाद्य उपभोक्ता मामला के मंत्री मदन सहनी ई जानकारी देलनि अछि। 

मदन सहनी केर मुताबिक़ महिला दिवस के अवसर पर ई निर्णय लेल गेल अछि, जाहिसे महिला सभके ऐहिक सीधा लाभ भेटत। आगा ओ कहला कि निकट भविष्य मे करीब साढ़े 13 हजार नवा दोकानक लेल लाइसेंस देल जायत। एहिमे आरक्षण के व्यवस्था लागू होयत। बिहार मे एखन लगभग 42 हजार PDS दोकान अछि। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने