शराबबंदी केर कारण होली मे कतहुँ देखबाक लेल नहि भेटल शराबी हुड़दंग

दरभंगा। 14 मार्च। बिहार मे शराबबंदी कानून लागू होयबाक बाद जिला भरी मे एहिबेर होली ल'के एक दिस जता प्रशासन के लेल बड़का छल ओतहि जिला भरिमे शराबी हुड़दंग कतहुँ नहि देखबाक लेल भेटल। जिला प्रशासन केर विधि व्यवस्था पूरा चौक-चौराहा पर देखल गेल। मुदा कतहुँ से कुनु भी तरहक अप्रिय घटना केर खबैर नहि भेटल अछि। ओतहि जिला भरिक लोग खूब सादगी आओर भाईचारा संग होली मनौलन्हि।  

एक दिस जता मामाक लोग सभ मंदिर सभमे होली के मौक़ा पर भव्य कीर्तन व जोकीरा सा रा रा के संग एक दोसर के होली केर बधाई देलैन्ह। ओतहि दोसर शहरी क्षेत्र मे सेहो लोग सभ होली लेल बहुत उत्साहित नज़र ओला। लोग सभ ढ़ोल, मंजीरा संग घुमि - घुमि जोगीरा गीत गाबैत एक दोसर के होलीक बधाई दैत नज़र ओला। शहर मे कैको जगह मटकी फोड़  प्रतियोगिता केर सेहो आयोजन कायल गेल छल। युवा लोकनि डीजे के धुन पर नाचैत - गाबैत खूब धूमधाम सँ होली मनौलन्हि।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने