पटना मे श्री श्याम फाल्गुन ध्वज शोभा यात्रा केर आयोजन

पटना। 06 मार्च। राजधानी पटना मे कैल्ह रविवार दिन श्री श्याम फाल्गुन ध्वज शोभा यात्रा निकालल गेल। शोभा ध्वज यात्रा मे महिला लोकनि हाथ मे ध्वज ल' श्री श्याम के गीत गाबैत आगा बढ़ैत देखार देलीह। श्री श्याम फाल्गुन ध्वज शोभा यात्रा डाकबंगला चौराहा, फ्रेजर रोड होयत स्टेशन पहुंचल। 

शोभा ध्वज यात्रा केर दौरान महिला महिला लोकनि भजन गाबैत नृत्य सेहो केलीह। शोभा यात्रा क' देखबाक लेल सड़कक दुनु कात लोग सभक बहुत भीड़ देखबाक लेल भेटल। एहि शोभा यात्रा केर आयोजन श्री श्याम बहादुरपुर पटना दिस सँ कायल गेल छल।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने