बिहार पुलिस कएलनि मोबाइल एप्प “बिहार पुलिस हेल्पलाइन” केर शुभारम्भ, शिकायत करब होयत आसान

पटना। 06 मार्च।  आब कुनु इमरजेन्सी मे पुलिस क' शिकायत करब भेल आसान। बिहार पुलिस मोबाइल एप्प केर माध्यम से आब अपनेक हाथ मे अछि। चाहे शिकायत दर्ज करेबाक होय वा पिछ्ला शिकायत के स्टेटस जानब, सभ आप अपनेक हाथ मे अछि। एहि लेल आब लिस थाना जेबाक कुनु दरकार नहि अछि।

अपने के बता दी कि बिहार पुलिस “बिहार पुलिस हेल्पलाइन” नाम से स्मार्टफोन एप के शुभारम्भ कएलनि अछि। शुभारम्भ भेलाक किछे दिन मे एप्प केर माध्यम सँ एक हजार से बेसी शिकायत दर्ज कराओल गेल अछि। एप्प केर माध्यम सँ बेसी शिकायल  रातिमे तेज अवाज संग डीजे बजायब, तेज गति से वाहन चलाएब आओर आपसी विवाद ल'के दर्ज कराओल गेल अछि। 

बिहार पुलिस हेल्पलाइन एप्लीकेशन सभक लेल अछि। कियो भी एहि एप्लीकेशन केर इस्तेमाल क' सकैत छैथ। ऐहिक लेल बस एक एंड्रायड स्मार्टफोन केर जरूरत अछि। गुगल प्ले स्टोर से एहि एप्लीकेशन क' इंस्टाल करबाक बाद अपने के लॉगिन करे परत। फेर सभके सभ विकल्प अपनेक हाथ मे होयत। केस दर्ज करबा सँ ल'के केस ट्रैक करब आओर  SOS नंबर केर विकल्प एहि एप्प केर माध्यम सँ आसानी से भेट जायत। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने