पेंशन घोटालाक भेल खुलासा, BDO लगौलन्हि टैक्स दरोगा पर गबन के आरोप

आरा। 04 मार्च। बुजुर्ग लोकनिकेँ पेंशन एहिलेल देल जायत अछि ताकि हुनका सभक जिनगी अंतिम समय मे आराम सँ कटे। मुदा बुजुर्ग सभक जिनगी पर  ग्रहण लगेबाक काज एक टैक्स दरोगा व प्रधान सहायक कएलन्हि अछि। 

नगर पंचायत जगदीशपुर के प्रधान सहायक आओर टैक्स दरोगा पर गबन केर आरोप लगाओल गेल अछि। एहि मामला मे स्थानीय थाना मे एफआईआर दर्ज कराओल गेल अछि, जाहिक बाद से अफरा-तफरी मचल अछि। दुनु कर्मि पर  44 लाख 89 हजार 900 टाकाक पेंशन केर राशि गबन करबाक आरोप लगाओल गेल अछि। 

ई आरोप हुनका सभ पर जगदीशपुर के BDO लगौलन्हि अछि। जगदीशपुर वीडियो द्वारा लगाओल गेल आरोप के बाद अफरा-तफरी के  माहौल बनल अछि। ई ओ राशि अछि जे गरीब सभके देल जायत अछि, जाहि राशिक बल पर हुनका सभक जीवन यापन होयत अछि। सूत्र के मानी तेँ एहि मामला मे पुलिस गोपनीयता बरतने अछि। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ