क्षतिग्रस्त सुगमा पुलक मरम्मत केर मांग लेल अखिल भारतीय विद्यार्थी परिषद केलनि सड़क जाम

सहरसा। 02 मार्च। प्रखंड के मुख्य मार्ग सोनवर्षा राज के जोड़नई बला सड़क मे क्षतिग्रस्त सुगमा पुल केर मरम्मतक मांग ले आय गुरुवार दिन  अखिल भारतीय विद्यार्थी परिषद के सदस्य सभ पुल पर सड़क जाम करि  प्रदर्शन केलनि।

प्रदर्शन क' रहल अभाविप के सदस्य कहलनि कि स्थानीय प्रशासन द्वारा रात्रि मे भारी वाहन सभसे अवैध उगाही करि पुल पार कराओल जायत अछि। जखनकि पुल पूरा तरहे क्षतिग्रस्त भ' चुकल अछि। प्रदर्शन के  नेतृत्व अभाविप के गोलू ठाकुर केलनि। ओतहि अभाविप के प्रदेश कार्यकारिणी सदस्य आशीष कुमार सिंह  कहलनि कि एहि पुल से भ'के  हजारों छात्र पढ़ाई करबाक लेल जायत अछि, जहिसे दुर्घटना केर संभावना बनल रहैत अछि। प्रदर्शनकारि मे अभाविप के साजन ठाकुर, झुनझुन ठाकुर, राजेश कुमार, प्रिय सिंह, नीतीश कुमार, रत्नेश रंजन, हरिओम कुमार, निर्मल कुमार, भिखन्न सादा, अंकित कुमार सिंह, टुनटुन ठाकुर, मो. कासीफ हुसैन, मनटुन सिंह, विक्की सिंह, रखवाला ठाकुर, रणवीर यादव, समेत दर्जनों छात्र उपस्थित छला।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने