नौकरी के नाम पर लोग सभके लाखो टाकाक चूना लगेनिहार ठग राजेश कुमार गिरफ्तार

दरभंगा। 02 मार्च। अखबार सभमे  फर्जी विज्ञापन द' शिक्षा व स्वास्थ्य विभाग सभमे नौकरी दियेबाक नाम पर दर्जनो लोग सभके लाखो टाकाक  चूना लगबै बला ठग राजेश कुमार क' आय गुरुवार दिन एएसपी दिलनवाज अहमद केर नेतृत्व मे गिरफ्तार कायल गेल। 

अपने के बता दी कि फर्जी अस्पताल बनाके माँ निर्मला मेमोरियल ट्रस्ट केर नाम पर दर्जनो लोगक संग ठगी क' चुकल ठग राजेश कुमार बहुत दिन से फरार छलैथ। किछ दिन पहिने सदर थाना क्षेत्र के धोईखाट स्थित एक मकान मे उक्त फर्जी अस्पताल चला लाखो टाकाक ठगी कराइ बला राजेश केर गिरफ्तारी लेल छापामारी कायल गेल। मुदा राजेशमगर मौक़ा पर फरार भ' गेल छला। 

ओतहि हुनकर पिता के पुलिस हिरासत मे ल' पूरा मामलाक पूछताछ केना छल। पुलिसिया पूछताछ मे ठग से पता चलल कि ओ पिछ्ला दुई बरख से शिक्षा व स्वास्थ्य विभाग मे नौकरी दियेबाक धंधा करैत छला। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने