बेटी रक्षक रथ क' मुख्यमंत्री नीतीश कुमार देखेलनि हरी झंडी

पटना। 02 मार्च। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कैंल्ह बुधवार दिन संवाद मुख्यमंत्री सचिवालय लग इंडियन एकेडमी आॅफ पेडियाट्रिक्स बिहार शाखा से बेटी रक्षक रथ क' रवाना केलनि। राज्य स्वास्थ्य समिति आओर  यूनिसेफ द्वारा आयोजित कार्यक्रम मे ‘बेटी रक्षक रथ’ क' नवजात बच्चा सभक नीक इलाजक लेल शुरू कायल गेल अछि। 

अपने के बता दी, एहि रथ मे गहन चिकित्सा इकाई रहत, जे घूईम-घूईम के नवजात सभक नीक स्वास्थ्य लेल काज करत। संगहि लोग सभक बीच जागरूकता सेहो पसारत। 

बेटी रक्षक रथ क' झंडी देखेबाक दौरान मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहला कि ई एक खास प्रयास अछि जाहिक सराहना करबाक चाहि। एहि प्रयासक माध्यम सँ विभिन्न इलाका मे लोग सभक बीच नवजात सभक स्वास्थ्य लेल जागरूकता पसारल जायत। एहि अवसर पर विधान पार्षद ललन सर्राफ, विधान पार्षद संजय कुमार सिंह उर्फ गांधी जी, प्रधान सचिव स्वास्थ्य आरके महाजन सहित बहुतो रास  गणमान्य उपस्थित छला। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ