प्रेम - प्रसंग मे कथित रूप सँ भगाओल गेल युवतीक बरामदगी लेल सड़क जाम

समस्तीपुर। 18 मार्च। थाना क्षेत्र अंतर्गत मऊ बाजार सँ प्रेम - प्रसंग मे कथित रूप सँ भगाओल गेल एक युवतीक बरामदगी व कथित अपहरणकर्ता प्रेमी केर गिरफ्तारीक मांग ल'के स्थानीय लोग सभ हाजीपुर - बछवाड़ा मुख्य पथ क' मड़वा ढाला लग जाम क' देलैन्ह। प्रदर्शन क' रहल लोग सभ टायर जड़ा अपन आक्रोश देखबैत पुलिस प्रशासन व स्थानीय विधायक केर खिलाफ खूब नाराबाजी कएलनि। 

प्रदर्शनकारी संजय कुमार साह, अजीत साह, चंदन साह, सज्जन झा, सत्यनारायण साह, भीमराज गुप्ता आदि कहलनि कि युवतीक बरामदगी व कथित प्रेमी अपहरणकर्ता चंदन ठाकुर व आन सहयोगी सभक गिरफ्तारी मे पुलिस मूकदर्शक बनल अछि। 

प्रदर्शनकारी सभ कहलनि कि सभ अभियुक्त मौज लूटी रहल छैथ। सड़क जाम केर सूचना पर पहुंचल थानाध्यक्ष मुकेश कुमार व बीस सूत्री अध्यक्ष हरेश प्रसाद सिंह, सरपंच रंजीत सिंह टुनटुन आरोपी सभक शीघ्र गिरफ्तारी व युवतीक सकुशल बरामदगी के आश्वासन देलनि, तखन जेके  लगभग दू घंटा बाद जाम टूटल। 

अपने के बता दी कि अन्तर जातीय प्रेम - प्रसंग के मामला मे युवती के भगेबाक लेल एक पक्ष द्वारा गत 11 मार्च दिन थाना कांड संख्या –  26/17 दर्ज कराओल गेल छल, जाहिमे प्रेमी चंदन ठाकुर सहित आन सहयोगी सभके नामजद काएल गेल छल। मामला ल'के पुलिसिया अनुसंधान चैल रहल अछि। ओतहि कतिपय पक्ष दिस सँ मामला के राजनीतिक रंग देबाक कवायद तेज क' देल गेल अछि।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने